नशाबंदी के समर्थन मे 11292 किमी नमहर मानव श्रृंखला, 2 करोड़ से बेसी लोग लेलन्हि भाग

पटना। 21 जनवरी। बिहार सरकार द्वारा राज्य क' नशामुक्त बनेबाक लेल शराबबंदी के समर्थन मे आय शनिवार दुपहर बनल ऐतिहासिक मानव श्रृंखला मे करीब 2 करोड़ लोग हिस्सा लेलन्हि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आर RJD प्रमुख लालू यादव पटना के गांधी मैदान मे इस अभियान के शुरुआत केलन्हि। 

दुपहर 12:15 से 1 बजे के बीच आयोजित भेल मानव श्रृंखला मे JDU, RJD, कांग्रेस आर बीजेपी सहित बहुत रास राजनीतिक दल के प्रतिनिधि सेहो शामिल भेलन्हि। सांसद, विधायक, विधान पार्षद समेत राजनीतिक दल के लोग, स्कूल-कॉलेज के छात्र-छात्रा, सरकारी कर्मचारी एहिमे शामिल भेल। मानव शृंखला केर वीडियॉग्रफी लेल सभ जिला मे एक-एक ड्रोन के संघ विडियॉग्रफी दल तैनात छल।

मानव श्रृंखला के फोटो लेबाक लेल तीन उपग्रह आर ड्रोन केर इस्तेमाल कायल गेल छल। तीन उपग्रह मे 1 विदेशी आर 2 भारतीय अंतरिक्ष अनुसंधान संगठन (इसरो) के छल। ऐहिक अतिरिक्त राज्य सरकार के 4 हेलीकॉप्टर सेहो एरियल फटॉग्रफी आर विडियॉग्रफी मे लागल छल। एहि आयोजन के विश्व रिकॉर्ड मे शामिल करबाक लेल लिम्का बुक ऑफ वर्ल्ड रिकॉर्ड मे सेहो रजिस्ट्रेशन कराओल गेल आर लिम्का बुक ऑफ वर्ल्ड रिकॉर्ड के कर्मचारी सेहो पटना मे मौजूद छला। 

पूरा राज्य मे आयोजन शांतिपूर्वक बताओल जे रहल अछि। कतहू कुनू अप्रिय घटना होयबाक सुचना नहि भेटल अछि। प्राप्त जानकारी केर मुताबिक मानव श्रृंखला कार्यक्रम के दौरान नालंदा मे 15 स्कूली बच्चा बेहोश भ' गेल छल। आन जिला सभसे सेहो बच्चा सभक बेहोश होयबाक खबैर अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने