रामविलास पासवान केर तबियत मे सुधार, भेट करे पहुंचला नीतीश कुमार

पटना। 13 जनवरी। सांस लेबामे दिक्कत भेलाक बाद कैल्ह गुरुवार देर सांझ एक अस्पताल के आईसीयू मे भर्ती कराओल गेल केंद्रीय मंत्री एवं लोजपा प्रमुख रामविलास पासवान केर हालत आब स्थिर अछि। आय शुक्रवार दुपहर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो हुनका सँ भेंट करबाक लेल पारस अस्पताल पहुंचला। हुनकर उपचार क' रहल डॉक्टर सभक अनुसार आय सांझ हुनका छुट्टी द' देल जेतैन्ह।

रामविलास पासवान के स्वास्थ्य ल'के हुनकर भाई पशुपति पारस कहला कि पासवान क' हार्ट केर कुनु दिक्कत नहि अछि। हुनका सिर्फ ठंड लागल छलैन्ह। डॉक्टर सभ हुनकर जांच केलाक बाद से हुनका ठंड से बचबाक  सलाह देलन्हि अछि। 

रामविलास से अस्पताल मे भेट करबाक लेल राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद, डिप्टी सीएम तेजस्वी यादव, स्वास्थ्य मंत्री तेजप्रताप समेत पूर्व MLC विनोद सिंह आर पशुपति पारस के परिवारक काकै सदस्य सेहो पहुंचल। अपने के बता दी स्वास्थ्य केर गंभीरता क' देखैत हुनका दिल्ली ल' जेबाक बात सेहो भ' रहल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने