नीतीश कुमार BJP नेता लोकनि के दही-चूड़ा खयबाक नोत देलन्हि

पटना। 13 जनवरी। प्रधानमंत्री मोदी के बिहारक दौरा के बाद मानव श्रृंखला मे शामिल होयबाक फैसला बीजेपी केलन्हि अछि। नीतीश कुमार दही-चूड़ा से राजनीतिक खाई क' भरबाक कोशिश क' रहल छैथ। एनडीए से अलग भेलाक बाद पहली बेर नीतीश कुमार बीजेपी नेता लोकनि के दही-चूड़ा खयबाक न्यौता देलन्हि अछि। दरअसल, जेडयू हर मकर संक्रांति के अवसर पर दही-चूड़ा के भोजक आयोजन करैत अछि। 

एहि बेर सेहो आयोजन कायल जे रहल अछि। आयोजन केर जिम्मेवारी जेडयू के प्रदेश अध्यक्ष वशिष्ठ नारायण सिंह केर ऊपर अछि। ओ लगातार एहि तैयारी मे भिरल छैथ। वशिष्ठ नारायण सिंहे बीजेपी नेता लोकनि के दही-चूड़ा लेल नोत भेजलन्हि अछि। एनामे आब सभक नज़र बीजेपी पर टिकल अछि  की बीजेपी नोत स्वीकार करतैन्ह वा नहि। जेडयू के एहि नोत पर बिहार मे फेरसे सियासी अटकलबाजी तेज भ' गेल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने