आठ विश्वविद्यालय मे नियुक्त कायल गेल नव कुलपति


पटना। 31 जनवरी। कुलाधिपति सह राज्यपाल रामनाथ कोविंद राज्य के आठ विश्वविद्यालय मे अस्थायी तौर पर कुलपति सभक नियुक्ति केलन्हि अछि। ई नियुक्ति वर्तमान मे तैनात कुलपति सभके कार्यकाल समाप्त होयबाक बाद कायल गेल अछि। राजभवन सचिवालय एहि संबंध मे आदेश जारी केलन्हि अछि। 

पटना विश्वविद्यालय के कुलपति के प्रभार प्रो. सुधीर कुमार श्रीवास्तव क' देल गेलन्हि अछि। वर्तमान मे तैनात कुलपति वाइसी सिम्हाद्री केर  कार्यकाल आय मंगलवार दिन समाप्त भ' गेलैन्ह। 

मुजफ्फरपुर के बीआर अंबेदकर विवि के कुलपति पदक जिम्मा प्रो. रविंद्र कुमार वर्मा रवि क' देल गेलन्हि अछि। ओ तीन फरवरी से ई पद सम्हारता।

मगध विवि के लेल प्रो. कुसुम कुमारी क' 10 फरवरी के प्रभाव देल गेल छैन्ह, एलएन मिथिला विवि दरभंगा के लेल प्रो. राजकिशोर झा क' पांच फरवरी से प्रभाव देल जायत, तिलकामांझी भागलपुर विवि के लेल प्रो. क्षेमेंद्र कुमार क' सात फरवरी से प्रभाव देल जेतैन्ह।

कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विवि के लेल प्रो. विद्याधर मिश्रा क' 2 फरवरी के प्रभाव से, मौलाना मजहरूल हक अरबी-फारसी विवि के लेल  प्रो. रमेश चंद्र क' एक फरवरी के प्रभाव से आ  प्रो. शिवकांत झा क' नालंदा खुला विवि का कुलपति नियुक्त कायल गेलन्हि अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने