मोदी सरकार मानैत अछि कि किछ मामला मे BJP शासित सभ राज्यके नीतीश पाछा छोड़लैन्ह

पटना। 27 जनवरी। कैको मौक़ा पर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी खुद सेहो  नीतीश कुमार के काजक तारीफ क' चुकल छैथ।  किछ दिन पहिने जखन मोदी पटना आयल छलाह तखनो ओ सार्वजनिक तौर पर नीतीश कुमार के शराबबंदी लेल तारीफ केना छला। आब बिहार सड़क निर्माण के क्षेत्र मे सभ बीजेपी शासित राज्य सभके पाछा छोइर देलन्हि अछि। 

एहिबेर केंद्र सरकार दिस से बिहार क' सड़क निर्माण लेल वाह-वाही भेट रहल अछि। गौरतलब अछि कि प्रधानमंत्री ग्राम सड़क योजना केर शुरुआत 25 दिसंबर 2000 दिन भेल छल। ऐहिक तहत देशक सभ ग्रामीण इलाका मे सड़कक निर्माण होयबाक छल। एहि योजना के तहत 2016-17 मे सबसे बेसी सड़क बिहार मे बनल अछि। 

बरख 2016-17 मे एहि योजना के तहत पूरा देश मे 48812 किलोमीटर सड़क बनेबाक लक्ष्य राखल गेल छल। जाहिमे असगर बिहार मे करीब 6540 किलोमीटर सड़क बनल जे कुल लक्ष्य के 13.4 फीसदी अछि। ओतहि, दोसर नंबर पर मध्यप्रदेश अछि। एता 6200 किलोमीटर सड़क बनाओल गेल जे कुल लक्ष्य का 12.7 फीसदी अछि। 

एहि योजना के तहत तेसर नंबर पर ओडिशा अछि, जते 6200 किलोमीटर सड़क बनाओल गेल अछि। पश्चिम बंगाल मे 4100 किलोमीटर आर उत्तर प्रदेश मे 3900 किलोमीटर सड़क केरनिर्माण भेल अछहि। ऐना मे यदि मध्य प्रदेश क' छोईड़ देखल जाय ते टॉप 5 मे कुनु भी बीजेपी शासित राज्य क' एहिमे जगह नहि भेटल अछि। 

बीजेपी शासित झारखंड मे 3000 किलोमीटर, राजस्थान मे 3000 किलोमीटर, छत्तीसगढ़ मे 2750 किलोमीटर, महाराष्ट्र मे 1900 किलोमीटर आर आंध्र प्रदेश मे 1350 किलोमीटर सड़कक निर्माण 2016-17 मे भेल अछि। 

एहि योजना के तहत देशक सभ ग्रामीण इलाका जाहिक अन्तर्गत मैदानी इलाका मे 500 से बेसी आ पहाड़ी इलाका मे 250 से बेसी आबादी बला गाम के सड़क से जोड़बाक अछि। जाहिमे बिहार सभसे आग अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने