मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क' चूड़ी-टिकली भेजत युवा शक्ति

भागलपुर। 19 दिसम्बर। समाहरणालय मे आठ दिसम्बर क' भेल लाठीचार्ज केर विरोध म' यदि दोषी अफसर सभक खिलाफ कार्रवाई नहि कायल गेल तेँ युवा शक्ति मुख्यमंत्री क' चूड़ी-टिकली भेजतन्ही। आय सोमवार दिन पुलिसिया लाठीचार्ज केर विरोध मे युवा शक्ति दिस सँ हस्ताक्षर अभियान चलाओल गेल आर नुक्कड़ सभा आयोजित कायल गेल। 

एहि मौका पर उपस्थित जिला अध्यक्ष राजकुमार यादव कहला कि मुख्यमंत्री जल्द सँ लाठीचार्ज के विरोध म' दोषी एसडीओ व अन्य अफसर सभ पर कार्रवाई करैथ, नहितें हुनका चूड़ी-टिकली भेजल जायत, ताकि ओहेन अफसर सभ के ओ सम्मानित करैथ।

आय सोमवार दिन युवा शक्ति एसएम काॅलेज रोड मे नुक्कड़ सभा करि लोग सभ के जागरूक केलन्हि। मौका पर युवा शक्ति केर कार्यकर्ता प्रियंका भारद्वाज कहली कि आय नीतीश कुमार भागलपुर कांड पर चुप किएक छैथ ? जखन नीतीश कुमार के DNA पर सवाल उठल तेँ एहिके ओ पूरा बिहारक जनता सँ जोड़लन्हि। आय महिला सभ पर बर्बरता पूर्वक लाठी चार्ज भेल आर ओ चुप छैथ।

ई घटना से बिहारे टा नहि, पूरा भारत केर महिला सभ के आघात पहुँचल अछि। एहि कार्यक्रम मे युवा शक्ति अध्यक्ष मो. इंजमामुल हक, प्रियंका भारद्वाज, सोनी, राजीव साह, अभिषेक भारती, गौरव नयन, बलराम साह सहित दर्जनों कार्यकर्ता उपस्थित छलाह। 

एक नजरि एम्हरो : बिहार पुलिस केर बर्बरता, बुजुर्ग महिला सभ क' घोलटा - घोलटा पिटलन्हि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ