उपयोगी खबैर : सिर्फ एक बेर जमा होयत 5 हजार सँ बेसी के पुरनका टाका

दिल्ली। 19 दिसम्बर। सरकार आब बैंक मे 500 आर 1000 हजार टाका के पुरनका नोट क' जमा करबाक सीमा तय क' देना अछि। नवा आदेश केर तहत आब अपने 30 दिसम्बर तक एक अकाउंट मे 5,000 टाका से बेसी मूल्य केर पुरनका नोट सिर्फ एक बेर जमा क' सकैत छी।  बैंक खाता के जरिया काला धन क' सफेद करबाक सिलसिला पर रोक लगेबाक लेल सरकार ई डेग उठेना अछि।

वित्त मंत्रालय के एक वरिष्ठ अधिकारी केर मुताबिक 5,000 टाका से बेसी मूल्य केर पुरनका नोट बेर - बेर नहि जमा कराओल जे सकैत अछि। लोग आब सिर्फ 5000 टाका जमा करा सकता जाहि पर कुनु तरहक प्रतिबंध नहि होयत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ