सेना क' कुनु भी विवाद सँ दूर रखबाक चाही : नीतीश कुमार

पटना। 20 दिसम्बर।  देशक नव सेनाध्यक्ष लेफ्टिनेंट जनरल बिपिन रावत केर नियुक्ति पर विपक्ष मोदी सरकार केर आलोचना केलन्हि। जाहि पर  मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि कि सेना क' कुनु भी विवाद सँ दूर रखबाक चाही।

कैल्ह सोमवार दिन 'लोक संवाद' के बाद पत्रकार सभ सँ बातचीत करैत नीतीश कुमार सेनाध्यक्ष केर नियुक्ति पर विवाद लेल कहलनि कि सेना क' ओ कुनु तरहक  विवाद म' नहि आने चाहैत छैथ आर ओहिक बारे मे हुनका बेसी जानकारी नहि छैन्ह। बगैर जानकारी के ओ कुनु मुद्दा पर बाजे नहि चाहैत छैथ।

हालही मे नव सेनाध्यक्ष केर नियुक्तिक मुद्दा पर विपक्षी दल नरेंद्र मोदी सरकार केर आलोचना केलन्हि।  नीतीश कुमार के एहि मुद्दा पर उक्त वक्तव्य सँ साफ अछि कि फिलहाल नोटबंदी के बाद एहि मुद्दा पर सेहो ओ  विपक्षी दल सभ सँ अलग विचार राखैत छैथ।  ओनाकि हुनकर पार्टी जनता दल (यू) केर प्रवक्ता केंद्र केर पहिने आलोचना केलन्हि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने