जन्म कs बाद पालथी लगा बैस गेल बच्चा, भगवान कs अवतार मानि होबा लागल पूजा


लखीसराय।12 दिसम्बर। लखीसराय मेें एक विचित्र बच्चा जन्म लेलक। ओकर माथ कs ऊपर विचित्र तरीका सs घुमल कारी केश छल । गाल फूलल आ मुंह चपटा छल। एतबे नै , जन्म कs बाद ओ पालथी मारि कs बैस गेल। लोग भगवान शंकर के अवतार माना लागल। फेर तs पूजा तक शुरू भ गेल। हालांकि, बच्चा जन्म के किछु देर बादे दम तोड़ी देलक।
घटना लखीसराय स्थित हलसी प्रखंड कs सहपुर मुसहरी टोला के अछि। जानकारी के अनुसार शुक्र दिन प्रसव पीड़ा के शिकायत पर महिला के परिजन प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र हलसी में भर्ती करैला। ओहिठाम सामान्य प्रसव नै होबाक स्थिति में महिला के दोसर अस्पताल में लs जएबाक सलाह देलक। एही पर परिजन महिला के लक घर आबि गेला ।
राइत में महिला बच्चा के जन्म देली । एही के जानकारी होयते ओकरा देखा लेल पड़ोसि व ग्रामीण कs भीड़ लाग् लागल। ओकर मुंह देखि लोग शंकर भगवान कs रूप मानि पूजा करे लागल। जन्म के किछु देर बादैह ओकर मौत भ गेल, लेकिन पूजा जारी रहल। बाद में ओकर अंतिम संस्कार करि देल गेल।
डॉक्टर कs अनुसार महिला अपरिपक्व बच्चा के जन्म देने छलीह । एही के मूल कारण कुपोषण भ सकैत अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ