आब चंडीगढ़ सँ सेहो मिथिलाराज्य के नारा भेल बुलंद

चंडीगढ़। 12 दिसम्बर। कैल्ह 11 दिसम्बर 2016 कs चंडीगढ़ सँ मिथिलाराज्य आंदोलन लेल एकटा नीक खबैर आएल। खबैर भेटल अछि जे चंडीगढ़ के वार्ड चुनाव मे, सेक्टर 45 के वार्ड नम्बर 14 केर उम्मीदवार सचिन्द्र कुमार मिथिलाक भागलपुर जिलाक छथि आ ओहिठाम मिथिलांचल मुक्ति मोर्चा के समर्थन पर चुनाव लड़ि रहल छथि।  

कैल्ह, अपना वार्ड के जनता के बीच जेबाक हेतु एकटा रैली'क आयोजन केने छलाह जाहि मे दिल्ली सँ बीरबल यादव, रणजीत लाल दास आ रोहित यादव मुख्यरूप सँ आमंत्रित छलाह।  

भेटल खबैर के अनुसार, कैल्ह के रैली'क नेतृत्व बीरबल यादव केलैन्ह आ क्षेत्र के जनता सँ सचिन्द्र कुमार के लेल वोट'क संग मिथिलाराज्य पर समर्थन सेहो मंगलन्हि। मिथिलाराज्य पर उम्मीदवार सचिन्द्र कुमार के संग संग हुनक सैकड़ो समर्थक एक्के संग हुंकार भैरि कs अप्पन समर्थन देलाह आ रैली'क दौरान मिथिलाराज्य के समर्थन मे जगह-जगह नारेबाजी आ पोस्टरबाजी सेहो भेल। 

आँहा सभ के बता दी जे आब चंडीगढ़ देश के एहन प्रमुख चारिम राज्य भs गेल जाहिठाम मिथिला के बाहर प्रवासी मैथिल सभ मिथिलाराज्य हेतु अहितरहक कार्यक्रम कलैन्हि अछि। अहि सँ पहिले अहि सूचि मे कलकत्ता, दिल्ली आ मुम्बई प्रमुख छल। कैल्ह के अहि रैली मे बीरबल यादव, रोहित यादव, रंजीत लाल दास, सुचिन्द्र कुमार, अमित वर्मा, विजय यादव, राम सुफल यादव, जयराम शर्मा, ललित महतो, शीतल प्रसाद सिंह, गंगा प्रसाद महतो के संग संग सैकड़ो समर्थक शामिल छलाह।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ