चेन्नई म' तबाही आनलक तूफान ‘वरदा’, 2 केर मौत

चेन्नई। १२ दिसम्बर। बंगाल के खाड़ी म' बनल चक्रवाती तूफान 'वरदा' तमिलनाडु म' दस्तक द' देना अछि जाहि केँ संगे संग तेज हवा चैल रहल अछि। अधिकारि सभक मुताबिक़, तेज हवा आर बारिश केर दौर लगभग चारि घंटा धरी जारी रहत। तूफान के कारण सँ कैको गाछ सड़क पर गिरल अछि। कैको गाछ चलैत गाडी पर खसल। तमिलनाडु सरकार कहलनि कि 7,350 से बेसी लोग सभ के चेन्नई, कांचीपुरम, तिरुवल्लुर आर विलापुरम जिला के 54 राहत शिविर सभ म' स्थानांतरित कायल गेल अछि। चेन्नई नगरपालिका क' गाछ गिरबाक 130 से बेसी शिकायत भेटल अछि।

मौसम विभाग अगला 36 घंटा यानी बुधवार तक दक्षिण तटीय आंध्र प्रदेश, उत्तर तटीय तमिलनाडु आर पुडुच्चेरी म' बारिश के अनुमान जतौलन्हि अछि। चक्रवात 'वरदा' सँ निपटबाक लेल तमिलनाडु म' एनडीआरएफ केर 7 आरआंध्र प्रदेश म' 6 टीम भेजल गेल अछि। वरदा सँ निपटबाक लेल भारतीय वायु सेना क' सेहो हाई अलर्ट कायल गेल अछि। 

वरदा सँ सम्बंधित 10 मुख्य खबैर;
  1. साइक्लोन वरदा के असर के चलते तमिलनाडु-आंध्रप्रदेश म' बारिश शुरू भ' गेल अछि। 
  2. वरदा चेन्नई सँ 180 किमी दूर अछि। सांझ तक ई चेन्नई क्रॉस क' जायत। 
  3. मीटिअरोलॉजिकल डिपार्टमेंट के डायरेक्टर एस. बालचंद्रन कहलनि कि वरदा चेन्नई सँ 180 किमी दूर अछि। सांझ तक ई चेन्नई पहुँच जायत।
  4. बालचंद्रन कहलनि कि अगला 36 घंटा म' तमिलनाडु के उत्तरी तटीय इलाका, पुड्डुचेरी, चेन्नई आर तिरुवलूर म' भारी बारिश होयत।
  5. एनडीआरएफ के डीआईजी कहलनि कि आंध्रप्रदेश म' टीम भेज देल गेल अछि। तमिलनाडु केर बात करि तेँ चेन्नई म' 3, कांचीपुरम म' 2, तिरुवलूर म' 2 आर पुड्डुचेरी म' एक टीम भेजल गेल अछि। 
  6. आंध्रप्रदेश के नेल्लोर म' एनडीआरएफ के  4 टीम तैनात कायल गेल अछि। 
  7. चेन्नई के लोकल गवर्नमेंट लोग सभ क' घर पर रहबाक सलाह देना अछि।
  8. वरदा के चलते चेन्नई म' 20 सेमी तक बारिश भ' सकैत अछि। 
  9. एहि इलाका के कैको हिस्सा म' एहतियातन केर तौर पर विद्युत आपूर्ति बंद क' देल गेल अछि। 
  10. थल सेना, नौसेना एवं वायु सेना के साथ सशस्त्र बल सभ क' सेहो तैयार रहबाक लेल कहल गेल अछि, ताकि कखनहुँ कुनु तरहक आवश्यकता पड़ला पर तैनात कायल जे सके। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ