पटना। 12 दिसम्बर। बिहार के शिक्षा मंत्री डॉ. अशोक चौधरी घोषणा केलन्हि कि एहि वित्तीय वर्ष म' बिहारमें शिक्षा केर विकास लेल 18 हजार करोड़ खर्च करबाक बजट बनाओल गेल अछि, ताकि शिक्षा क्षेत्र म' बिहार आगू बढ़ी सके। शिक्षा पर सभसँ बेसी राशि खर्च करै बला बिहार देशक दोसर राज्य होयत।
शिक्षा मंत्री कहलनि कि मार्च 2017 तक 3600 जबकि वित्तीय वर्ष 2017 तक पूरा बिहार के कॉलेज सभ म' 9000 लेक्चरर केर भर्ती कायल जायत। संगहि सेकेण्ड्री स्कूल सभ मे सेहो शिक्षक केर भर्ती कायल जायत। डॉ. चौधरी शनिवार दिन आरके साहा महिला कॉलेज केर छात्रवास लोकार्पण समारोह क' संबोधित करैत ऐहिक घोषणा केलन्हि।
आगा ओ कहलनि कि राज्य म' उच्च शिक्षा प्राप्त करनिहार केँ संख्या महज 13 फीसदी अछि। ऐहिकें देखैत प्लस टू पास करै बला छात्र सभ क' राज्य सरकार 4 लाख टक्का केर शिक्षा लोन देबाक योजना बनेना अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।