कर्नाटक म' ईडी जब्त केलन्हि 93 लाख केँ नबका नोट, 7 दलाल गिरफ्तार

नई दिल्ली। 13 दिसम्बर। नोटबंदी के बाद कालाधन क' सफेद करबाक शिकायत के बाद देशभरि म' शुरू भेल कार्रवाई लगातार जारी अछि। ताजा कार्रवाई कर्नाटक म' कायल गेल अछि, जते प्रवर्तन निदेशालय 93 लाख नबका टक्का जब्द केलन्हि अछि। ई बरामदगी सात दलाल सँ कायल गेल अछि। ईडी अफसर सभ ग्राहक बनी एहि दलाल के झांसा में ल' गिरफ्तार केलन्हि। फिलहाल आरोपी सभ सँ पूछताछ कायल जे रहल अछि।

बताओल जे रहल अछि कि प्रवर्तन निदेशालय के अफसर सभ खुद क' एहि दलाल सभक सामने ग्राहक जोका पेश केलन्हि। ग्राहक बनी अफसर सभ दलाल से 1000, 500 के पुरनका नोट के नबका नोट में बदलबाक गप केलन्हि। जखन दलाल संग डील तय भ' गेलन्हि, तखन अभसर सभ अप्पन पहचान बतबैत हुनका सभ के गिरफ्तार केलन्हि।

गिरफ्तार दलाल सभक किछ बैंक अधिकारि सभ सँ संपर्क छल आर ओहि माध्यम सँ ओ पुरनका नोट केँ नबका नोट में बदलबाक काज करैत छल। आब ईडी के अफसर ओहि बैंक अधिकारि सभ पर सेहो शिकंजा कसबाक तैयारी म' अछि जिनका मदद सँ कालाधन के सफेद करबाक धंधा चलाओल जे रहल छल।

एहि बीच बाथरूम से कैश भेटबाक मामला म' सीबीआई 4 बैंक अधिकारि पर केस दर्ज केलन्हि अछि। कर्नाटक के चित्रदुर्ग जिला म' एक हवाला कारोबारी के बाथरूम म' बनल तिजोरी से 5.7 करोड़ टक्का के नबका नोट भेटल छल। संगहि 32 किलो सोना के बिस्कुट, आभूषण आर 90 लाख टक्का के पुराने नोट बरामद कायल गेल छल। बैंक अधिकारि सभक खिलाफ काफी गंभीर धारा के तहत मामला दर्ज कायल गेल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ