बिहारक एक आर लाल राज्य केर सीना गर्व सँ चौड़ा केलन्हि, LIC केर चेयरमैन बनला

पटना। 15 दिसम्बर। पटना के नौबतपुर प्रखंडक रहिवासी वीके शर्मा लाइफ इंश्योरेंस कॉरपोरेशन (एलआईसी) केर नव चेयरमैन बनाओल गेल छैथ। एहि सँ पहिने ओ सितंबर सँ एलआईसी के चेयरमैन केर रूप म' एडिशनल चार्ज सम्हारैत छलाह। चेयरमैन केर पोस्ट एसके रॉय केर रिजाइन करबाक बाद खाली भेल छल। रॉय जून म' रिजाइन देना छलाह।

अपने के बता दी कि वीके शर्मा एलआईसी के संग 1981 म' डायरेक्ट रिक्रूट ऑफिसर केर तौर पर शामिल भेल छलाह। शर्मा नवंबर, 2013 सँ मैनेजिंग डायरेक्टर केर कार्यभार सम्हारैत छलाह। अक्टूबर म' शर्मा क' चेयरमैन पोस्ट लेल शॉर्टलिस्ट कायल गेलन्हि। 

केंद्र सरकार वीके शर्मा क' पांच बरख लेल जीवन बीमा निगम (एलआइसी) केर चेयरमैन नियुक्त केलन्हि अछि।  कैबिनेट केर नियुक्ति समिति हुनकर नाम क' मंजूरी द' देलन्हि अछि।  कैल्ह बुधवार दिन  सरकारी बयान म' कहल गेल कि कैबिनेट केर नियुक्ति समिति  वीके शर्मा क' एलआइसी केर चेयरमैन नियुक्त करबा संबंधी प्रस्ताव क' मंजूरी द' देलन्हि अछि। एहि नियुक्ति केर प्रस्ताव वित्तीय सेवा विभाग केना छल। 

ऐहिक अलावा सेहो वीके शर्मा केर नाम बहुत रास उपलब्धि अछि। दिसंबर 2009 तक ओ अमटेक इंडिया लिमिटेड के मैनेजिंग डायरेक्टर रहला। 2007 सँ 2009 तक ओ LIC की इकाई P&GS के एग्जीक्यूटिव डायरेक्टर रहला। एलाईसी म' ओ साउथ जोन केर मैनेजर के रुप म' सेहो सेवारत रहला। एतबे नहि ओ LIC इंडिया आर इन्फ्रास्ट्रक्चर लीजिंग एंड फाइनेंसियल सर्विसेज लिमिटेड के निदेशक केर पद पर सेहो काज क' चुकल छैथ। शर्मा मार्च 2014 से आईसीआईसीआई बैंक लिमिटेड केर  इंडिपेंडेंट नॉन एग्जीक्यूटिव एडिशनल डायरेक्टर के रुप म' सेहो काज क' रहल छैथ। ऐहिक अलावा ओ हिंदुस्तान मोटर्स, ACC लिमिटेड, टाटा पॉवर कंपनी लिमिटेड, ECE इंडस्ट्रीज लिमिटेड जेहेन बड़का कंपनि सभ म' निदेशक केर पद सम्हैर चुकल छैथ। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ