युवा सभ क' रोजगार केर अवसर उपलब्ध कराओल जायत : नीतीश कुमार

सुपौल। 15 दिसम्बर। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आय अप्पन चारिम चरण केर निश्चय यात्रा पर सुपौल पहुंचला। नीतीश कुमार भोर 10.30 बजे महिला ITI केर निरीक्षण एवं उद्घाटन केलन्हि। ऐहिक संगे ओ जिला निबंधन एवं परामर्श केंद्र सेर सेहो निरीक्षण केलन्हि। 

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सुपौल सदर प्रखंड केर बलहा पंचायतक वार्ड 5 म' सात निश्चय यात्रा पर ग्रामीण सभ सँ मुलाकात केलन्हि। ओता घर - घर नल योजना केर जायजा केलन्हि। ऐहिक बाद दुपहर 2 बजे सुपौल के स्थानीय गांधी मैदान म' जन चेतना सभा क' संबोधित केलन्हि। नीतीश कुमार शराबबंदी पर विशेष रूप सँ फोकस करैत लोग सभ सँ जन चेतना आनबाक अपील केलन्हि। 

नीतीश सुपौल म' शराबबंदी पर कड़ाई सँ पालन करबाक निर्देश अधिकारि सभ क' देलन्हि। ओतहि मुख्यमंत्री महिला सभ केर सशक्तीकरण आर  रोजगार के अवसर प्रदान करबा पर बल देलन्हि।नीतीश कुमार कहला कि महिला सभ क' आत्मनिर्भर बनाओल जायत। हुनका सभक लेल रोजगार केर अवसर प्रदान कायल जायत। स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड सँ बेरोजगार युवक व युवति सभ केर मदद कायल जायत। हुनका सभक लेल रोजगार केर  अवसर उपलब्ध कराओल जायत। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ