प्रसूता के भेल मौत लेल बरारीे अस्पताल म' प्रदर्शन

कटिहार। 15 दिसम्बर। बरारीे रेफरल अस्पताल म' प्रसव केर दौरान सिक्कट निवासी बबलू चौधरी केर पत्नी अंजली देवी केर मौतक घटना केर  विरोध म' कैल्ह बुधवार दिन ग्रामीण सभ जनजागरण शक्ति संगठन केर  बैनर तर अस्पताल प्रांगण मे धरना देलन्हि। 

जाहि कारण अस्पताल केर काम काज ठप रहल। संगठन केर सचिव कामयानी सहित आन सभ मृतक के आश्रित परिवार क' 2 लाख टक्का केर मुआवजा, दोषी नर्स केर ऊपर कार्रवाई करबाक मांग केलन्हि। संगहि जांच टीम म' संगठन केर सदस्य क' शामिल करबाक अलावा अस्पताल म' अन्य स्वास्थ्य सुविधा मुहैया करेबाक मांग सेहो केलन्हि। प्रदर्शनी सभ के न्यायसंगत कारवाई केर आश्वासन देल गेलन्हि। बावजूद एकर  प्रदर्शनकारी नहि मानलन्हि आर सत्याग्रह धरना पर बैसल रहलनि। मामला  म' आरोपी नर्स रंजू देवी कहली कि अंजली केर मौतक पाछा हुनका शरीर म' खूनक कमी छल। अपने के बता दी प्रसव केर दौरान मौतक घटना 17 नवंबर क' भेल छल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ