नोटबंदी : पटना केँ तीन गाम 15 दिसम्बर तक पूरा तरहे होयत कैशलेस

पटना। 03 दिसम्बर। बिहार म' पहिल बेर तीन गाम क' कैशलेस बनाओल जायत। बैंक ऑफ बडौदा केर प्रयास सँ पहिल बेर पटना म' ऐहिक शुरआत कायल गेल अछि। पटना केँ तीन गाम पूरा तरहे कैशलेस बनाओल जायत। एहि गाम व टोला म' लोग पूरा तरहे कैशलेस खरीदारी आर दोसर काज क' सकता। बैंक ऑफ बड़ौदा केँ पटना क्षेत्र केँ उप महाप्रबंधक विभूति कुमार सिन्हा कहला कि 15 दिसम्बर तक पटना के तीनों गाम/टोला पूरा तरहे डिजिटल एवं वित्तीय साक्षर भ' सकत।

कैल्ह शुक्रवार दिन कुर्जी स्थित बिंद टोली म' एक संग तीन गाम क' कैशलेस बनेबाक उद्घाटन कायल गेल। बैक अधिकारी ओतहि सँ भोर 11 बजे तीनों जगह केँ एक संग इलेक्ट्रॉनिक तरिका सँ उद्घाटन केलन्हि। कुर्जी के बिंद टोली, मनेर म' बस्ती आर बिहटा के पटसा गाम क' बैंक कैशलेस बनायत। तीनों गाम क' कैशलेस बनेबाक काज बैंक के तीन ब्रांच करत। कुर्जी, मनेर व बिहटा स्थित बैंक ऑफ बड़ौदा केर शाखा एहि गाम म' लोग सभ क' बैंकिंग सुविधा केर हिसाब सँ नकदीविहीन बनाओत।

तीनों गाम म' लोग सभ क' डेबिट कार्ड, मोबाइल बैंकिंग, मोबाइल वॉलेट, इंटरनेट बैकिंग एवं कैशलेस संबंधित विभिन्न प्लान केर बारे म' बताओल जे रहल अछि। एतबे नहि, कुर्जी म' बैंक दिस सँ तीन दिन म' 350 सँ बेसी लोगक बैंक खाता खोलल गेल अछि। बांकी बचल करीब 100 लोगक बैंक खाता सेहो जल्दे खोली कैशलेस ट्रांजेक्शन केर जानकारी देल जायत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने