सफल किडनी ट्रांसप्लांट के बाद विदेश मंत्री सुषमा स्वराज क' एम्स सँ भेटल छुट्टी

नई दिल्ली। 20 दिसम्बर। केंद्रीय विदेश मंत्री सुषमा स्वराज क' कैल्ह सोमवार सांझ 7 बजे एम्स सँ डिस्चार्ज क देल गेलन्हि। 10 दिसम्बर क' सुषमा स्वराज के सफल किडनी ट्रांसप्लांट कायल गेलन्हि। ऐहिक बाद हुनका आईसीयू से निजी वॉर्ड मे शिफ्ट कायल गेल छलैन्ह। केंद्रीय स्वास्थ्य मंत्री जेपी नड्डा कैल्ह सोमवार दिन सुषमा स्वराज से एम्स म' भेट करि हाल समाचार पुछलन्हि। 

एम्स केर जनसंपर्क विभाग दिस सँ जारी एक बयान केर मुताबिक़, 'किडनी ट्रांसप्लांट केर बाद सुषमा स्वराज के स्वास्थ्य मे तेजी सँ सुधार भेलन्हि अछि। हुनका सोमवार सांझ 7 बजे एम्स सँ डिस्चार्ज क देल गेलन्हि।

ऑपरेशन के बाद विशेषज्ञ डॉक्टर सभक एक टीम विदेश मंत्री के  स्वास्थ्य पर नजर राखलन्हि। विशेषज्ञ डॉक्टर सभक टीम म' एनेस्थेशिया आर क्रिटिकल केयर विशेषज्ञ सभक अलावा प्रत्यारोपण इंडोक्राइनोलॉजिस्ट आर पलमोनोलॉजिस्ट सेहो शामिल छलाह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ