मिथिलांचल में आतंकी नेटवर्क बैसब चाहैत छल भटकल



नई दिल्ली।  20 दिसम्बर। हैदराबाद सीरियल ब्लास्ट मामला में फांसी कs सजा पाबs वला आतंकी सरगना यासीन भटकल मिथिलांच सहित पूरा बिहार में आतंक के नव मॉड्यूल स्थापित कराए चाहैत छल। एही के लेल दरभंगा, मधुबनी आर समस्तीपुर में अपना एक मजबूत नेटवर्क तैयार कs लेने छल। जाहि के नेतृत्व समस्तीपुर के मनियापुर गांव निवासी युवक तहसीन अख्तर उर्फ मोनू के सौंपल गेल । भटकल के सासुर दरभंगा के एक गांव में अछि
हैदराबाद सीरियल ब्लास्ट मामले में एनआइए के विशेष अदालत यासीन भटकल सहित जाहि चाइर सहयोगि के फांसी कs सजा सुनेलक अछि ओहि में तहसीन उर्फ मोनू सेहो शामिल अछि
मूलरूप सs कर्नाटक के रहे वला यासीन भटकल के असली नाम मो. अहमद सिदीबप्पा अछि। हैदराबाद, बेंगलुरु, मुंबई आर पुणा में लगातार सीरियल ब्लास्ट करि सैकड़ों बेगुनाह के मौत के नींन सुताब' वला यासीन बिहार कs रास्ता नेपाल भागा छल। ओहि समय हैदराबाद सीरियल ब्लास्ट मामला में फांसी कs सजा पैनिहार असदुल्लाह अख्तर उर्फ हड्डी सेहो ओकर साथ छल।
भारतीय खुफिया व सुरक्षा एजेंसि के हाथ लागल सs पाहिले दुनु आतंकी नेपाल के पोखरा के समीप एक गांव में यूनानी चिकित्सक के रूप में नाम बदैल कs रहैत छल। यासीन भटकल के संग असदुल्लाह उर्फ हड्डी बतौर सहायक रहैत छल। हड्डी के पिता बेंगलुरु में हड्डी के डॉक्टर अछि, जाहि कारण ओकरा आतंकी साथी हड्डी कही कs बजबैत छल।
तहसीन अख्तर के संपर्क में आब के बाद यासीन भटकल वर्ष 2012-13 में बहुत दिन तक दरभंगा में एक किराए के मकान में रहल छल। यासीन भटकल सs तहसीन अख्तर के नजदीकि के अंदाजा एही सs लगायल जा सकैत अछि कि अपन फरारी के बाद भटकल तहसीन उर्फ मोनू के ही उत्तर भारत में इंडियन मुजाहिदीन कs कमान सौंपाने छल। बाद में तहसीन सेहो पश्चिम बंगाल सs लागल भारत-नेपाल कs सीमा सs पकड़ल गेल छल।
भटकल के दरभंगा में रहबाक मुख्य मकसद भारत-नेपाल के सीमावर्ती जिला में इंडियन मुजाहिदीन आतंकी संगठन के विस्तार करब छल। ओ मुंबई, पुणे आर बेंगलुरु सीरियल ब्लास्ट में नेपाल सs लागल सीमावर्ती जिला  मधुबनी, दरभंगा आर समस्तीपुर के युवक के इस्तेमाल बतौर कैरियर कैने छल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ