आजादी के बाद आब भेटल पनिहारा गाम क' रौशनी

दरभंगा। 20 दिसम्बर। आजादीक समय सँ बिजली लेल ललानवित कमतौल थाना क्षेत्र के करवा तरियानी पंचायत अंतर्गत पनिहारा गांव मे बिजलीक व्यवस्था होयबा से पूरा गाममे खुशीक लहर देखल जे रहल अछि। 

पंचायत केर मुखिया वीणा देवी आर सर्जन डॉ. नागेंद्र सिंह द्वारा संयुक्त रूप सँ दीनदयाल उपाध्याय विद्युतीकरण योजना केर अंतर्गत  गाममे 63 केवीए केर ट्रांसफार्मरक उद्घाटन कायल गेल। उद्घाटन के बाद ट्रांसफॉर्मर पर बिजली बाउल जैरते गामक लोग सभ ख़ुशी सँ नाचे लगलाह। कैल्ह धरी जे गाम अन्हार रहैत छल आय ओहि गाम मे बिजली अएला से गामक 300 परिवार क' ऐहिक फायदा भेटलन्हि।  

पंचायत के मुखिया पति अनिल कुमार सिंह, श्याम सुंदर सिंह, नागेंद्र राय आर आसनारायण सिंह कहला कि आजादी के बाद देशक कोन-कोन मे बिजली पहुँचल, लेकिन पनिहारा गाम कैल्ह धरी बिजली लेल मोहताज छल, जखन की एहि गाम म' करीब 300 परिवार अछि।  ग्रामीण आर जनप्रतिनिधि सभक  अथक प्रयास के बाद अहल्यास्थान विद्युत् उपकेंद्र सँ एक 11 केवीए के नवा कमतौल फीडर सृजित करि एहि गामक लेल ट्रांसफार्मर लगेलाक बाद ग्रामीण ऐहिक उद्घाटन केर  प्रतिक्षा करैत छलाह, जाहिके पंचायत केर मुखिया रविवार दिन पूरा क' देलन्हि। ट्रांसफॉर्मर चार्ज भेलाक बाद से ग्रामीण सभ क' विद्युत सेवा भेटब शुरू भ' जेतन्हि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ