'मिस टियारा इंडिया कांटेस्ट –2017' लेल मिथिलाक बेटी आकांक्षा सिन्हा क' वोट करि

बेगूसराय। 20 दिसम्बर। जिला मुख्यालय के पोखरिया निवासी कैप्टन अजीत कुमार सिन्हा व प्रीति वर्मा केर बेटी आकांक्षा सिन्हा मिथिलाक नाम रौशन करे जे रहल छथि। मुम्बई यूनिवर्सिटी सँ मनोविज्ञान ऑनर्स केर छात्रा आकांक्षा सिन्हा 'मिस टियारा इंडिया कांटेस्ट –2017' म' शामिल भ' नीकरैंकिंग हासिल क' चुकल छथि। 

बचपन सँ चंचल व मेधावी आकांक्षा क' यदि अपनेक आशीर्वाद भेटलन्हि तेँ ओ नंबर एक पोजिशन हासिल क' लेतीह।  आकांक्षा सिन्हा केर मामा बखरी ( बेगूसराय) निवासी नीरज नवीन कहल कि आकांक्षा सिन्हा क' पहिल स्थान पर पहुँचबाक लेल वोट केर जरुरत छैन्ह, आर वोट करबाक लेल महज 14 दिन बचल अछि।

आकांक्षा मुबंई मे अप्पन मां के संग रही पढ़ाई केर संगे संग टाइम्स नाउ न्यूज चैनल से सेहो जुड़ल छली। अप्पन कैरियर केर प्रति समर्पित आकांक्षा क' बस अपनेक सपोर्ट केर जरूरत छैन्ह। ओ मिस इंडिया टियारा 2017 के टॉप 15 म' पहुंच चुकल छथि। 

ऑडियंस सपोर्ट कैटिगरी मे नंबर एक अएबाक लेल हुनका अपनेक वोट केर बहुत जरुरत छैन्ह। यदि हुनका कामयाबी भेटलन्हि तेँ आकांक्षा सिर्फ बेगूसराय नहि पूरा मिथिलांचल केर शान बैन सकैत छथि। 

आकांक्षा सिन्हा के वोट करबाक लेल क्लिक करि : VOTE FOR AAKANKSHA SINHA

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ