मिथिला समेत सगर बिहार मे 2381 बैंक खाता आयकर विभाग केर रडार पर

पटना। 26 दिसम्बर। आयकर विभाग बिहार के विभिन्न बैंकक 2381 बैंक खाता मे नोटबंदी के बाद अचानक जमा भेल धनराशि केर जांच प्रारम्भ क' देना अछि। आयकर विभाग के सूत्रक अनुसार राज्य के अलग-अलग बैंक के 2381 खाता मे अचानक पैघ राशि जमा होयबाक सूचना प्राप्त भेल जाहिमे 681 खाता जन धन योजना केर अन्तर्गत खुजल खाता अछि। 

सूत्र से प्राप्त जानकारी मुताबिक़ 1700 सामान्य बैंक काटा, जाहिके बेनामी या फर्जी होयबाक आशंका अछि, ओहिके सेहो जांच कायल जे रहल अछि। एहिके अलावा आयकर विभाग जनधन योजना के 681 खाता के सेहो जांच क' रहल अछि, जाहिमे नोटबंदी के बाद अचानक लाखों टाका जमा कराओल गेल अछि। 

सूत्र से प्राप्त जानकारी मुताबिक़ फर्जी खाता केर शिकायत अधिकांश निजी बैंक मे भेटल अछि। सूत्रक अनुसार एहनो कैको खाता अछि, जे खुजबाक बाद से निष्क्रिय पड़ल छल, लेकिन नोटबंदी के बाद अचानक सक्रिय भ' गेल आर ओहिमे एकमुश्त धन राशि जमा होमे लागल। 281 एहेन खाता अछि जाहिमे बिना कुनु पैन नंबर केर उल्लेख केना टाका जमा कराओल गेल। एहितरहक खाता में कालाधन जमा होयबाक बेसी आशंका अछि। किछ एहनो खाता केर सूचना अछि कि टाका जमा भेलाक बाद कैको सप्ताह तक केवल निकासी कायल गेल अछि। कतो - कतो तेँ लेन - देन केँ पूरा ब्योरा बैंक म' उपलब्ध नहि अछि। आयकर विभाग क' आशंका अछि कि जन-धन योजना के खाता मे दोसरक टाका जमा कराओल गेल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ