एहि घटना मे लगभग पचास वर्षीय चानो राम केर मौत भ' गेलन्हि आर पाँच अन्य घायल बताओल जे रहल अछि। जाहिमे एक केर हालत गंभीर बनल अछि। प्राप्त सूचनाक अनुसार कैल्ह रविवार दुपहर एक विवादित जमीन पर बनल पोखरि मे माछ मारबाक क्रम मे दुइ पक्षक बच्चा सभक बिच माईर पीटक घटना भेल। जाहिक जानकारी भेटते एक पक्ष के राजीव सिंह, संदीप सिंह, रतन सिंह, लक्षो सिंह सहित कैको लोग दोसर पक्ष के चानो राम, शिवेन्द्र राम, मुकेश राम, वकील राम, मिथुन राम व वीरेंद्र राम पर डंडे व रड सँ हमला क' देलन्हि। एहि मामला ल' के दुनु पक्षक बिच पहिनो विवाद भ' चुकल छल। सदर थाना अध्यक्ष भाई भरत सदर अस्पताल पहुंच शव क' पोस्टमार्टम करबाक प्रक्रिया मे लागि गेलाह। ओतहि मृतक केर परिजनक कानब से सदर अस्पताल केर माहौल गमगीन बनी गेल छल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।