पटना। 01 दिसम्बर। नोटबंदी केर विरोध म' मोदी सरकार केँ खिलाफ मोर्चा खोलै वाली पश्चिम बंगाल केर मुख्यमंत्री ममता बनर्जी कइलन बुधवार दिन नोटबंदी केर समर्थन करै वला बिहार केँ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर इशारा - इशारा म' प्रहार केलन्हि। पटना म' नोटबंदी केर खिलाफ धरना-प्रदर्शन करे पहुँचल ममता कहली कि नोटबंदी पर जे लोग हुनकर समर्थन नहि क' रहल छैथ, ओ गद्दार छैथ। हालांकि ममता बनर्जी नीतीश के नाम नहि लेली, मुदा बिहार केर राजधानी म' आबि एहेन बयान देब स्वाभाविक तौर पर नीतीश सँ जोड़ी के देखल जे रहल अछि।
पटना केँ गर्दनीबाग म' नोटबंदी केर खिलाफ धरना देबा पहुँचल ममता बनर्जी केँ संग मंच पर आरजेडी नेता सेहो मौजूद छलाह। आरजेडी दिस सँ पार्टी के प्रदेश अध्यक्ष रामचंद्र पूर्वे आर वरिष्ठ नेता रघुवंश प्रसाद सिंह धरना म' शामिल भेल। ममता बनर्जी एहिठाम नरेंद्र मोदी के संगे - संग नीतीश कुमार पर सेहो खूब प्रहार केली। ओ कहली कि जे पार्टी सभ नोटबंदी केर मुद्दा पर हमर समर्थन करैत अछि, हम हुनक शुक्रगुजार छी आर जे समर्थन नहि क' रहे छैथ ओ गद्दार छैथ।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।