आलू व्यवसायी हत्याकांड केर मुख्य अभियुक्त मो. दिलवर आलम गिरफ्तार

सहरसा। 13 दिसम्बर। सहरसा जिला के बनमा ओपी के सुगमा चौक लग  गत 30 नवम्बर के सांझ खगड़िया जिला के कंजरी गाम निवासी आलू व्यवसायी कृष्ण कुमार हत्याकांड केर मुख्य आरोपी मो. दिलवर आलम क' ओपी अध्यक्ष जितेंद्र सहनी गोगरी थाना के फतेहपुर बस स्टैंड सँ गुप्त सूचना केर आधार पर गिरफ्तार केलन्हि।

मो. दिलवर आलम लग से पुलिस एक मोबाइल बरामद केलन्हि अछि जाहिक सीडीआर निकाली आन नामजद अभियुक्त मो. सीजो, मो. सफी व मो. वकील हाफिज व अन्य केर गिरफ्तारी करि घटना के कारण केर पता लगेबाक प्रयाश कायल जे रहल अछि। पूर्व विधायक व भाजपा नेता किशोर कुमार मुन्ना, आईका आर व्यापारी संगठन के सदस्य सभ मृतक के गाम पहुँच पीड़ित परिवार से मिल संवेदना व्यक्त केलन्हि। घटना म' शामिल शेष अन्य अभियुक्त सभक गिरफ्तारी के लेल डीआईजी सँ भेट सेहो केलन्हि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने