सरकारी मुआवजा के लेल लहेरियासराय-दरभंगा पीडब्लयूडी सड़क कैल गेल जाम


दरभंगा । सरकारी मुआवजा के लेल मंगल दिन नाका नंबर छह लग' शव के राखीक' परिजन लहेरियासराय-दरभंगा पीडब्लयूडी सड़क के जाम कए देलक। कहल जा रहल अछि कि मंगल दिन भोरे बेलबागंज निवासी कामेश्वर मंडल अपन घर सs रिक्सा चलाब के लेल निकलल छल। लेकिन, ओ लाईट हाउस सिनेमा हॉल के लग खैस पड़ल । स्थानीय तीन छात्र ओकरा उठाक डीएमसीएच ल गेल । लेकिन, ओहिठाम चिकित्सक ओकरा मृत घोषित क देला। एही के सूचना भेटतै रिक्सा चालक के परिजन डीएमसीएच पहुंच गेल । परिजन शव के ठेला पर उठाक राखि लेला। किछु देर के बाद सरकारी मुआवजा के मांग लक नाका नंबर छह के जाम कs देलक। मृतक के पत्नी पचतरिया देवी आ बहिन परमेश्वरी देवी कहली कि ठंड लाग सs  मृत्यु भ गेला। गरीबी में हमसब कोना रही पाएब। आधा घंटा तक सड़क जाम रह सs लोग के बहुत रास दिक्कत के सामना करे पड़ल। दुनु तरफ लंबा दूर तक गाड़ी लागल रहल । हालांकि, किछु देर में लहेरियासराय थाना के प्रभारी थानाध्यक्ष गौतम कुमार मौका पर पहुंचक आंदोलनकारि के काफी समझेला। जखन पोस्टमार्टम कराब के बात कहल गेल तs परिजन पेास्टमार्टम कराब सs मुकर गेल। हालांकि, अंतिम संस्कार करे के लेल प्रशासनिक स्तर सs  तत्काल कबीर अंत्येष्टी योजना सs  तीन हजार रुपया मुहैया करा देल गेल । एही के बाद जाम के हटाब के लेल राजी भ गेल । 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ