दिल्ली : उत्तर प्रदेश कs कानपुर में बुध दिन भोरे सियालदह-अजमेर एक्सप्रेस पटरी सs उतर गेल। एही दुर्घटना में ट्रेन कs 15 डिब्बा पटरी सs उतैर गेल। टटका जानकारी के मुताबिक सियालदह-अजमेर एक्सप्रेस 12987 के हादसा में ट्रेन कs गार्ड सेहो जख्मी भेल अछि। राहत आर बचाव कार्य शुरू भ गेल अछि। एही हादसा में एखन तक 44 गोटे के घायल होबाक खबर भेटल अछि। रेलवे के पीआरओ अनिल सक्सेना के अनुसार कानपुर देहात के बगल में रूरा स्टेशन के लग इ हादसा भेल। हालांकि, किनको मौत होबाक खबर नै अछि। इ हादसा हादसा सुबह 5:20 पर भेल। आपात सेवा के लेल एंबुलेंस मौका पर अछि। मेडिकल ट्रेन सेहो मौका पर पहुंच गेल अछि। डॉक्टर आर अन्य राहत एजेंसि घटनास्थल पर पहुंच चुकल अछि। अनिल सक्सेना कहला कि एही के बारे में जानकारी फेसबुक आर ट्विटर के माध्यम सs सेहो देल जा रहल अछि।सक्सेना कहला कि छठा सs लक 20वां डिब्बा यानी 15 डिब्बा पटरी सs उतैर गेल। रेल मंत्री सुरेश प्रभु ट्वीट करि कहला 'हम व्यक्तिगत रूप सs हालात पर नजर रखने छी। वरिष्ठ अधिकारि के घटनास्थल पर तत्काल पहुंच के निर्देश देल गेला।
रेलवे जारी कैल्क हेल्पलाइन नंबर-
कानपुर- 0512-2323015, 2323016, 2323018
इलाहाबाद- 05322408149, 2408128, 2407353
टूंडला- 05612-220338, 220339
अलीगढ़- 0571-2404056,2404055
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।