जच्चा आर बच्चा कs स्थिति के देखि क' डॉक्टर के एहन लागी रहल छल कि बच्चा के बचायब मुश्किल होयत लेकिन एही के कुदरतक' करिश्मा या डॉक्टरक' हुनर कही कि बच्चा कs डिलिवरी नॉर्मल तरीका सs करायल गेल। जच्चा आर बच्चा दुनु डिलिवरी के बाद स्वस्थ अछि। बच्चा के जन्म दियाब वाली डॉक्टर सारिका राय के मानि तs इ कोनो चमत्कार सs कम नै अछि। सारिका के मुताबिक बच्चा मात्र 8 महीना पांच दिन के छल लेकिन ओकर बढ़ैत वजन के देखैत डिलिवरी करायब जरूरी छल।
डिलीवरी के बाद आब बच्चा आर जच्चा दुनु स्वस्थ अछि। डॉक्टर कहल की बच्चा कs ज्यादा वजह होबाक कारण मां के डायबिटीज कs बीमारी अछि। बच्चा के माता-पिता बिहार के गोपालगंज के रह वाला छैथ। बच्चा के पिता मोहम्मद मजीर डॉक्टर के धन्यवाद देला आ एही के उपर वाला के तरफ सs न्यू ईयर के गिफ्ट कही रहल छैथ।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।