दरभंगा। 15 दिसम्बर। शहर के म्यूजियम गुमती लग कैल्ह बुधवार सांझ पुलिस दुइ अपराधी के 2 पिस्टल व 11 जिंदा गोली संग गिरफ्तार केलन्हि। एहि मामला म' एएसपी दिलनवाज अहमद कहला कि गुप्त सूचना केर आधार पर म्यूजियम गुमती लग सदर थाना क्षेत्र के प्रिंस व भैरव नाम केर दुइ युवक क' गिरफ्तारी कायल गेल अछि।
दुनु युवक से पुलिस संबंधित बरामद पिस्टल व गोली केर बारे म' पूछताछ क' रहल अछि। संगहि हुनका सभक अपराधिक छवि केर सेहो जानकारी एकत्रित कायल जे रहल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।