सहरसा। 15 दिसम्बर। सदर थाना क्षेत्र के गांधी पथ म' दुइ युवक केर बीच भेल कहासुनी म' एक युवक गोली चला देलन्हि। जाहिसँ गांधी पथ निवासी छोटू कुमार गंभीर रूप सँ घायल भ' गेला, हुनका पांच गोली लागल अछि। जानकारी केर मुताबिक़ गंगजला चौक पर बैग बेल्ट केर दोकान करै बला छोटू दुकान बंद करि घर जायत छलाह। एहि दौरान ओ गांधी पथ स्थित एक पान दोकान पर रुकला, जते पहिने सँ ठाढ़ सराही निवासी सुमित यादव आर छोटू के बिच कुनु बात पर कहासुनी भ' गेलन्हि।
एहि दैरान सुमित पिस्टल निकैल छोटू पर ताबड़तोड़ फायरिंग करि पांच गोली मारलन्हि। स्थानीय लोग सभ छोटू क' गांधी पथ स्थित सूर्या हॉस्पिटल म' भर्ती करौलन्हि, जते हुनकर हालत गंभीर बनल अछि। गोलीबारी म' जख्मी छोटू स्थानीय वार्ड पार्षद रेशमा शर्मा केर भाई केँ साला बताओल जे रहल अछि।
सुचना भेटते सदर थानाध्यक्ष भाई भरत व आन पुलिस पदाधिकारी मामला केर जानकारी लेबाक बाद आरोपी सुमित केर गिरफ़्तारी लेल छापामारी शुरू क' देलन्हि अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।