प्रदर्शन कार्यक्रम केर अध्यक्षता मिथिलेश केसरी केलन्हि। पार्टी के जिला मंत्री संजय कुमार अप्पन संबोधन म' कहला कि सरकार केर ई घोषणा छल कि 85% परिवार क' राशन कार्ड मुहैया कराओल जायत, लेकिन एखन धरी बहुत एहेन परिवार अछि जिनका खाद्द सुरक्षा योजना केर लाभ नहि भेटल अछि। जिनका राशन कार्ड नहि भेटल ओ सभ बेर - बेर अनुमंडल कार्यालय केर चक्कर लगा रहल छैथ। बावजूद एकर खगड़िया, मानसी, अलौली आर चौथम अंचल के सैकड़ों परिवार राशन कार्ड सँ वंचित छैथ।
ओतहि विद्दानंद सिंह कहला कि हमरा सभक मांग अछि 85% परिवार सभ के हर हाल मे राशन कार्ड मुहैया कराओल जाय, गरीब सभक नाम राशन कार्ड केर सूची सँ हटाएब बंद होय आर फर्जी जांच सर्वे करै बला पदाधिकारि सभक खिलाफ सख्त कारवाई कायल जाय। एहि मौक़ा पर सुरेंद्र प्रसाद, उपेंद्र महतो, विजय कुमार सिंह, मुकेश कुमार, विद्यानंद, कुंदन कुमार आदि सेहो प्रदर्शन कार्यक्रम क' संबोधित केलन्हि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।