कैल्ह पटना मे पप्पू यादव एक प्रेस कॉन्फ्रेंस म' कहलनि कि ओ (नीतीश कुमार) ऐहिक शुरुआत हमर संपत्ति केर जांच से करबैथ आर ओहिक बाद राजद प्रमुख लालू प्रसाद आर हुनकर समस्त परिवार के संगे संग अप्पन विधायक आर सांसद के संगे संग अप्पन अधिकारि सभक संपति केर जांच करबैथ। यदि नीतीश कुमार एहेन नहि क' सकता तेँ बेनामी संपति केर नाम पर हुनकर कथन लोगक आँखिमे धुरा फेकबाक बराबर होयत।
पप्पू यादव मुख्यमंत्री सँ नोटबंदी के ठीक पहिने बीजेपी द्वारा विभिन्न जिला म' अप्पन कार्यालय खोलबाक एल कीनल गेल जमीन केर सेहो जांच करेबाक मांग केलन्हि। पप्पू यादव राष्ट्रपति आर प्रधानमंत्री सँ तमाम राजनीति पार्टी क' आरटीआई केर दायरा म' आनबाक लेल कानून बनेबाक आर राजनीतिक दल सभक बैंक खाता केर निगरानी करबाक मांग केलन्हि।
पप्पू यादव केंद्र सरकार पर कालाधन केर खिलाफ 500 आर 1000 टाका पर रोक लगा आम जनता केर परेशानी बढेबाक आरोप लगबैत कहलनि कि सरकार क' नोटबंदी लेल हाईकोर्ट द्वारा पुछल गेल सवाल सभक जवाब देबाक चाहि। आगा ओ आरोप लगेलन्हि कि नोटबंदी केर कारण उद्योग आर व्यवसाय ठप भ' गेल अछि जाहि कारण सँ एक बड़का आबादी बेरोजगार भ' गेल छैथ।
पप्पू यादव केंद्र सरकार पर कैशलेस सोसाइटी बनेबाक नाम पर जनता क' गुमराह जकरबाक आरोप लगबैत कहलनि कि देश के कैको अर्थशास्त्री नोटबंदी क' अव्यावहारिक करार देना छै। एहि विरोधमे जन अधिकार पार्टी जनता केर मुद्दा ल' आगामी 20 दिसम्बर क' रेल चक्का जाम आर 22 दिसम्बर क' सड़क जाम करबाक फैसला केना अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।