'कांग्रेस मुक्त' केर बदला 'तंबाकू मुक्त भारत' केर बात करबाक चाहि : शत्रुघ्न सिन्हा

पटना। 19 दिसम्बर। ऐक्टर से बीजेपी केर सांसद बनल शत्रुघ्न सिन्हा कैल्ह रविवार दिन बिना नाम लेना प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी पर निशाना साधलन्हि आर कहलन्हि कि किछ लोग क' ‘कांग्रेस मुक्त भारत’ केर इच्छुक होयबाक जगह लाखों लोगक फायदा लेल ‘तंबाकू मुक्त भारत’ केर बात करबाक चाहि। उल्लेखनीय अछि कि विगत किछ बरख सँ मोदी कांग्रेस मुक्त भारत के लेल अभियान चला रहल छैथ। 

शत्रुघ्न सिन्हा इयो कहलन्हि कि नोटबंदी एक नीक डेग अछि, लेकिन ऐहिकें लागू करबाक लेल पहिनेसँ कुनु तैयारी नहि कायल गेल छल। पीएम मोदी आर बीजेपी अध्यक्ष अमित शाह नोटबंदी सँ पहिने महीनों धरी चर्चा करबाक दावा केलन्हि, लेकिन ऐहिक परिणामस्वरूप देशभरी मे आम जनता क' बड्ड असुविधा भेल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ