बेरोजगारी बिहार के संगे - संग पूरा देश लेल गंभीर समस्या : नीतीश कुमार

भभुआ। 24 दिसम्बर। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बेरोजगारी क' राज्य के संगे संग पूरा देश लेल गंभीर समस्या बतौलन्हि आर कहलनि कि ऐहिक समाधान लेल सरकार प्रयास क' रहल अछि। नीतीश कुमार निश्चय यात्रा केर दौरान चेतना सभा क' संबोधित करैत कहलनि कि युवा आबादी देश आर राज्य केर रीढ़ अछि आर हुनकर विकास सँ देशक विकास होयत। 

नीतीश कुमार कहला कि बेरोजगारी केर समस्याक समाधान लेल प्रत्येक जिला मुख्यालय मे नियोजन सह निबंधन परामर्श केन्द्र खोलल गेल अछि। एहि केंद्र से युवा सभक लेल रोजगार पेबाक रास्ता सुलभ होयत। नीतीश कुमार रोजगार के लेल कम्प्यूटर आर अंग्रेजी के ज्ञान क' महत्वपूर्ण बतौलन्हि  आर कहलनि कि कम्प्यूटर सिखबाक लेल अंग्रेजी भाषा केर जानकारी होयब आवश्यक अछि। संगहि अंग्रेजी बाजब आर लिखब सेहो जरुरी होयत अछि। आगा ओ कहला कि एहि सभ के देखैत हर जिला मे प्रशिक्षण केन्द्र सेहो खोलल जे रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ