
पटना। 17 दिसम्बर। नोटबंदी पर राजद द्वारा बड़का आंदोलन करबाक लेल आय पार्टी केर मीटिंग बजाओल गेल। राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव कहलनि कि नोटबंदी केर ओहने हश्र होयर जेहेन कांग्रेस सरकार म' नसबंदी केर भेल छल। लालू यादव कहलनि कि देशक स्थिति फुटबॉल जेहेन भ' गेल अछि। जे लोग काजक खोज म' बाहर गेल छल सभ अप्पन घर वापस लौट रहल छैथ।कालाधन तेँ वापस नहि आयल लेकिन आम आदमी क' फजीहत भ' रहल अछि। नोटबंदी पर राजद पार्टी केर स्टैंड पहिने जोका कायम अछि। राजद नोटबंदी केर पुरजोर विरोध करैत अछि। पीएम मोदी देश क' धोखा देलन्हि अछि।
अपने के बता दी कि नोटबंदी के बाद सँ जनता क' भ' रहल परेशानि क' देखैत राजद केंद्र सरकार के एहि फैसला केर कड़ा विरोध केलन्हि अछि। हाले म' एहि मुद्दा पर राजद आक्रोश मार्च सेहो निकालने छल।
नोटबंदी पर बिहार म' चैल रहल गठबंधन सरकार केर एक राय नहि अछि। जता एक दिस बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार नोटबंदी केर पक्ष म' छैथ ओतहि हुनकर सहयोगी लालू प्रसाद केर पार्टी ऐहिक खिलाफ अछि। गठबंधन म' एहि मतभेद के बाद बहुत दिन धरी विवाद चलैत रहल। जाहीकेँ बाद म' नीतीश कुमार राजद पार्टी सुप्रीमो सँ भेंड़ करि सुल्झाउलनी। हालांकि राजद के वरिष्ठ नेता रघुवंश बाबू बिहार के सीएम नीतीश कुमार पर लगातार हमला क' रहल छैथ। हाल म' ओ अप्पन एक बयान म' कहलनि कि नोटबंदी पर अप्पन अलग स्टैंड राखी नीतीश कुन गठबंधन धर्म केर पालन क' रहल छैथ। नीतीश कुमार क' भाजपा सँ पुरनका याराना अछि। हुनकर अलग राय होयब गठबंधन केर खिलाफ अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।