दैनिक भास्कर के फोटो जर्नलिस्ट केर सड़क दुर्घटना म' मौत

हाजीपुर। 17 दिसम्बर। दैनिक भास्कर के हाजीपुर ब्यूरो कार्यालय म' कार्यरत फोटो ग्राफर आदित्य कुमार सिंह केर सड़क दुर्घटना म' मौत भ' गेलन्हि। 25 वर्षीय आदित्य कुमार सिंह उर्फ़ मंजन देसरी थाना क्षेत्र के खोकसा गाम निवासी छलाह।

ई घटना हाजीपुर - मुज़फ्फरपुर एनएच-77 पर सदर थाना क्षेत्र के एकारा गुमटी लग घटल। आय भोर आदित्य एक सड़क दुर्घटना केर कवरेज करबाक लेल ओहिठाम गेल छलाह। एहि दौरान एक मुर्गी लादल गाड़ी हुनका चिप देलन्हि जाहिसँ मौके पर हुनकर मौत भ' गेलन्हि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ