बिहारक हर जिला मे खुजत इंजीनियरिंग कॉलेज : नीतीश कुमार

नालंदा। 30 दिसम्बर। अप्पन निश्चय यात्रा केर छठम चरण मे अप्पन गृह जिला नालंदा पहुंचल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 'चेतना सभा' क' संबोधित करैत कहला कि महिला सभक विकास लेल हुनका तकनीकी शिक्षा से जोड़ब जरूरी अछि। महिला सभक लेल राज्य के हरेक अनुमंडल मुख्यालय मे पॉलीटेक्निक कॉलेज आर एएनएम (सहायक नर्सिग मिडवाइफरी) स्कूल खोलल जायत। 

आगा ओ कहला कि राज्य केर हरेक जिला मे  इंजीनियरिंग कॉलेज खोलबाक योजना अछि। संगहि पांच नव मेडिकल कॉलेज सेहो खोलल जायत। मुख्यमंत्री कहला कि आन राज्य सभक तुलना मे बिहार मे युवा युवा सभक संख्या सबसे बेसी अछि। मानव संसाधन केर बेहतर इस्तेमाल लेल सरकार हुनका तक उच्च शिक्षा केर पहुंच सुनिश्चित करबाक लेल प्रयासरत अछि। शराबबंदी के बाद राज्य के लोग सभक  मानसिकता बदैल रहल अछि। आर बिहार के शराबबंदी केर चर्चा पूरा देश मे भ' रहल अछि। 

एहि से पहिने नीतीश कुमार राजगीर के भूई आर तेहितिया गाम पहुंचला, जते 'सात निश्चय' केर तहत भ' रहल शौचालय निर्माण, हर घर नल केर जल, पक्की गली-नाली एवं हर घर बिजली जेहेन  योजना केर तहत भ' रहल काज केर निरीक्षण केलन्हि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने