पेंटर केर गला रेत निर्मम हत्या, जदयू विधान पार्षद (एमएलसी) केर बेटा पर FIR

मुजफ्फरपुर। 21 दिसम्बर। शहर के कांटी थाना अंतर्गत फतहपुर फरदो पुल लग पेंटर के काज करै बला एक युवक सुरेश साह केर गला रेत निर्मम हत्या क' देल गेलन्हि। हत्यारा सभ कैल्ह राति वारदात केर दौरान हुनका चाक़ू से छलनी - छलनी क' देलैन्ह। ऐहिक बाद हत्यारा सभ शव क' फेंक ओता से चल देलन्हि। आय भोर सुरेश साह के शव सड़क कात एक खेतमे पड़ल भेटल। 

मृतक केर पत्नी राधा देवी एहि हत्याकांड मे जदयू विधान पार्षद (एमएलसी) दिनेश प्रसाद सिंह के बेटा छोटू सिंह व एक अन्य क' नामजद केलन्हि अछि। हुनका अनुसार छोटू सिंह कैल्ह देर राति हुनका (सुरेश साह) ई कही घर सँ बजाके ल' गेल छलैन्ह कि किछ बात करबाक अछि। मुदा, ओ नहि लौटला। भोर म' हुनकर शव गामक लोग सभ देखलन्हि।

बताओल जे रहल अछि कि छाेटू सिंह शराब केर अवैध धंधा करैत छैथ। साह जाहिमे हुनकर सहयोगी छलाह। शराब केर सिंडिकेट म' कुनु बात पर भेल अनबन केर कारण हुनकर कायल गेलन्हि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ