
मोकामा। 21 दिसम्बर। बाढ़ अनुमंडल केर पंडारक थाना क्षेत्र म' पेट्रोल पंप मैनेजर केर गोली मारी हत्या क' देल गेलन्हि। एहि घटना क' कैल्ह रति ओहि समय अंजाम देल गेल जखन मृतक पेट्रोल पंप बंद करि अप्पन घर जायत छलाह। पंडारक थाना केर कोन्दी गामक गीता पेट्रोल पंप केर मैनेजर अजीत कुमार सिहं क' अपराधि सभ गोली मारी मौत केर घाट उतैर देलन्हि।
मृतक अजीत कोन्दी पंचायत केर बड्डोपुर गामक रहिवासी छलाह। अजीत कैल्ह रात्रि पंप सँ अप्पन घर साइकिल से जायत छलाह। रास्ता में बाट जोहैत अपराधि सभ हुनकर रास्ता रोकलानि आर जबरन घसीट क' खेत मे ल' गेलन्हि। ओता ईंट पत्थरसे पीट-पीट हुनकर निर्मम हत्या क' देल गेलन्हि। मौका पर पहुंचल लोग सभ ऐहिक सुचना पुलिस के देलन्हि।
पंडारक थाना केर पुलिस मौका पर पहुंच घटनास्थल केर मुआयना केलन्हि। आक्रोशित ग्रामीण सभ कोन्दी रोड क' जाम करि आगजनी केलन्हि। नाराज ग्रामीण हत्याकांड म' शामिल अपराधि सभक गिरफ्तारी आर मुआवजा केर मांग केलन्हि। हत्या सँ नाराज लोग सभ पंडारक थाना केर खिलाफ खूब नारेबाजी केलन्हि। कार्रवाई केर आश्वासन पर लोग सभ सड़क जाम हटा लेलन्हि। पुलिस शव क' अप्पन कब्जा मे ल' कार्रवाई शुरू क' देना अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।