कुलपति केर खिलाफ अभिभावक मंचक एक दिवसीय धरना

दरभंगा। 21 दिसम्बर। ललित नारायण मिथिला विश्वविद्दालय केर  कुलपति प्रो. साकेत कुशवाहा के खिलाफ अभिभावक मंच दिस सँ आय  बुधवार दिन एक दिवसीय धरना प्रदर्शन कार्यक्रम विवि केर धरना स्थल पर कायल गेल। जाहिमे आइसा राज्य सह सचिव संदीप चौधरी कहलनि कि जिनकर डिग्री खुद फर्जी हो ओ दोसरक डिग्री खोजैत छैथ। 

सिंडिकेट केर बैठक म' अनाधिकृत रूप से पहिने कायल गेल काजक अनुमोदित करबा सहित विवि केर गलत नीति व कारगुजारी केर खिलाफ धरना प्रदर्शन कायल गेल। ओतहि जनअधिकार पार्टी के प्रदेश प्रवक्ता सोनू तिवारी आरोप लगबैत कहलनि कि कुलपति साकेत कुशवाहा एखन धरी के कुलपति सभमे सभसँ अराजक छैथ।  डॉ. सुमन कुमार झा कहला कि विवि म' शैक्षणिक कैलेंडर लागू नहि अछि।  एहि दिस प्रो. कुशवाहा केर ध्यान नहि छैन्ह। धरना म' चन्द्रकांत सिंह यादव, मो.अदाब, मो.वासीन अहमद, मंजर आलम, सुरेन्द्र सिंह, विनित कुमार सिंह, शेखर झा, मो. इमामुल हक, प्रो. गंगा प्रसाद यादव, राम नंदन भगत, आनंद सिंह, श्याम किशोर राम, माथव कुमार, मुन्ना झा, मयंक यादव, राजा पासवान आर  प्रिंस कुमार सहित दर्जनों मंच के सदस्य मौजूद छलाह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ