फारबिसगंज। 12 दिसम्बर। कुर्साकांटा थाना पुलिस शैन कs राइत घाट चिकनी गांव में छापामारी के दौरान छह माह कs गर्भवती महिला के एतेक मारलक कि बच्चा के जान चली गेल। आरोप अछि कि दलबल के संग पहुंचल कुर्साकांटा थानाध्यक्ष विकास कुमार आजाद राइफल के कुंदा सs महिला के पेट पर मारला सs महिला बेहोश भ गेली आर अत्यधिक रक्तस्राव होब लागल। फारबिसगंज अनुमंडलीय अस्पताल में असामयिक प्रसव भेल आर एही के तुरंत बाद बच्चा कs मौत भ गेल। अस्पताल में महिला कs स्थिति गंभीर बताएल जा रहल अछि।
हालांकि, महिला कोनो भी मामले में आरोपी नै छैथ , बल्कि पुलिस हुनकर वारंटी पति ब्रह्मदेव मंडल आर दियोर मनोज मंडल के गिरफ्तार कर गेल छल। दुनु के गिरफ्तार कs लेल गेल। एही कार्रवाई के दौरान पुलिस टीम में कोनो महिला सिपाही नै छल। अस्पताल में भर्ती महिला कs बयान पुलिस दर्ज कs लेने अछि। बयान में सेहो ओ थानाध्यक्ष पर कुंदा सs मारबाक आरोप लागेली। हालांकि, थानेदार महिला कs मारबक आरोप के नाकैर देलक।
अस्पताल में भर्ती महिला धनेश्वरी देवी (35 वर्ष) कहली कि हुनकर पति ब्रह्देव मंडल के खिलाफ कोर्ट सs वारंट जारी अछि। शैन के राइत कुर्साकांटा थानाध्यक्ष विकास कुमार आजाद छह पुलिसकर्मि के संग हुनकर पति के खोजैत घर पहुंचला। एही बीच पूछताछ करैत थानेदार व अन्य पुलिसकर्मि गालीगलौज शुरू करि देलक आर विरोध कर पर रायफल के कुंदा सs पेट पर मारलक। एहिके बाद ओ बेहोश भ गेली आर जखन होश आयल तs ओ फारबिसगंज अस्पताल में छली ।
डॉक्टर ने कहा, अत्यधिक रक्तस्राव के साथ हुआ प्रसव
महिला को जब अस्पताल लाया गया तो उसे अत्यधिक रक्तस्राव हो रहा था। डीएस डॉ. अजय कुमार सिंह के निर्देश पर महिला चिकित्सक डॉ. शीला कुंवर ने जांच शुरू की, लेकिन महिला का रक्तस्राव नहीं रुक रहा था। कुछ देर बाद उसका असामयिक प्रसव हुआ और थोड़ी देर बाद ही बच्चे की मौत हो गई। इलाज करने वाली डॉक्टर ने भी माना कि अत्यधिक रक्तस्राव के कारण असामयिक प्रसव हुआ। हालांकि, इसके कारणों पर उन्होंने कुछ भी स्पष्ट नहीं किया।
फारबिसगंज पुलिस दर्ज कएलक महिला कs बयान
अस्पताल प्रशासन सs असामयिक प्रसव आर बच्चा कs मौत कs सूचना भेटा के बाद फारबिसगंज थाना के दारोगा घनश्याम सिंह अस्पताल पहुंचक' महिला कs बयान दर्ज कैला।
थानाध्यक्ष कहला, महिला कs आरोप निराधार
कुर्साकांटा थानाध्यक्ष विकास कुमार आजाद महिला कs पिटाई सs साफ इनकार कैला। ओ कहला कि वारंटी ब्रह्मदेव मंडल आर ओकर छोट भाई मनोज मंडल कs गिरफ्तारी के लेल छापेमारी कैल गेल छल। दुनु के गिरफ्तार कs लेल गेला। कोनो महिला के रंग माइरपीट नै भेल।
एसपी कहला, मामला के जांच करैल जैत
एसपी सुधीर कुमार पोरिका कहला कि महिला कs आरोप कs जांच करैल जैत। अगर गर्भवती के माइरपीट कs आरोप सही निकलल तs थानेदार सहित अन्य दोषी पुलिसकर्मि के खिलाफ सेहो विधिसम्मत कार्रवाई कैल जैत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।