मुजफ्फरपुर म' आलू कारोबारी केर गोली मारी हत्या

मुजफ्फरपुर। 14 दिसम्बर। मुजफ्फरपुर जिला के अहियापुर थाना क्षेत्र म' आय भोर अज्ञात अपराधि सभ एक आलू करोबारी केर गोली मारी हत्या क' देलन्हि। पुलिस के अनुसार, सीतामढ़ी जिला के बखोर गामक  निवासी रामू राय मुजफ्फरपुर के अहियापुर स्थित बाजार समिति म' कारोबार केर सिलसिला सँ आयल छलाह।

एहि दौरान अपराधि सभ दोकान म' घुसी के रामू राय केर गोली मारी हत्या  क' देलन्हि। अहियापुर के थाना प्रभारी कहला कि घटना के बाद भागबाक क्रम म' अपराधि सभमेँ एक केर पिस्तौल गिर परल, जाहीकेँ जिला पुलिस  जब्त केना अछि। 

एहि मामला म' दुइ गोटा केँ हिरासत म' ल पुलिस पूछताछ क' रहल अछि। हत्या के कारणक एखन धरी कुनु पता नहि चलल अछि। पुलिस जांच म' भिरल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ