सांसद कीर्ति आजाद के दिल्ली कs तीस हजारी कोर्ट सs समन


दरभंगा। 10 दिसम्बर।  भाजपा सs निलंबित नेता आ दरभंगा सs सांसद कीर्ति आजाद के दिल्ली कs तीस हजारी कोर्ट समन जारी कैलक।  कोर्ट हुनका खिलाफ दायर मानहानी मुकदमा में 19 मई सs पाहिले हाजिर होबाक आदेश देलक। सांसद कीर्ति आजाद के खिलाफ एक वकील अपमानजनक शब्द इस्तेमाल के आरोप में तीस हजारी कोर्ट में शिकायत दर्ज कैल्क। .
वकील कs शिकायत पर तीस हजारी कोर्ट में दर्ज मुकदमा में सांसद के  नोटिस भेजल गेला आ तय समय सsपाहिले कोर्ट में हाजिर होब लेल कहल गेला। दायर शिकायत में वकील कहब अछि कि बीतल 15 सितंबर के कीर्ति आजाद बीसीसीआइ सहित कतेको लोक के मेल भेजेला। जाहि में हुनका खिलाफ अपमानजनक बात के इस्तेमाल कैल गेल अछि। कोर्ट कीर्ति आजाद के 19 मई 2017 सs पहिने तीस हजारी कोर्ट में हाजिर होबाक लेल कहलक। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ