पटना। 10 दिसम्बर। राजधानी के कोतवाली थाने के ठीक सामने स्थित सेंट्रल बैंक के एटीएम में लूटेरा कुंदन नाम कs गार्ड कs ह्त्या करि देलक। एही के बाद एटीएम में लागल मशीन के तोड़ीक' कैश लूटबा के कोशिश कैल गेल। घटना शुक्र दिनक' राइतक' अछि।
एकर जानकारी पुलिस आ स्थानीय लोक के शैन दिन कs भोर में भेल । मशीन सs कॅश लूट भेल की नै ताहि के ठीक सs पता नै चली पैल । बदमाश सब गार्ड कs ह्त्या के बाद एटीएम कs शटर खसा देलक। मौका पर पहुंचल कोतवाली थाना कs पुलिस छानबीन करे में लागल अछि । एटीएम में लागल सीसी कैमरा के खंगाला जा रहल अछि ।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।