एहि सँ पहिने सीएम नीतीश कुमार पूर्व निर्धारित कार्यक्रम के अनुसार बेसरवाटी पंचायत स्थित आईटीआई कॉलेज केर लोकार्पण लेल पहुंचला। ओता ओ कॉलेज परिसर म' पौधरोपण केलन्हि आर 4 . 5 करोड़ केँ लागत सँ बनल आईटीआई कॉलेज के लोकार्पण केलन्हि।
नीतीश कुमार सात निश्चय यात्रा कार्यक्रम के तहत कैल्ह बुधवार राति किशनगंज पहुंच गेल छलाह। आईटीआई कॉलेज केर लोकार्पण के बाद सीएम बगले म' 34 करोड़ केर लागत सँ बैन रहल पॉलिटेक्निक कॉलेज केर निरीक्षण करैत छात्रावास केर व्यवस्था करबाक निर्देश देलन्हि। संगहि आईटीआई कॉलेज म' रोजगारमुखी कार्यक्रम प्रशिक्षण प्रारंभ करबाक सेहो निर्देश देलन्हि।
सीएम किशनगंज रूईघासा मैदान म' चेतना सभा क' संबोधित करैत बहुतो रास महत्वपूर्ण भवन सभक उद्घाटन के बाद सात निश्चय कार्यक्रम केर प्रगति केँ समीक्षात्मक बैठक के बाद पूणिॅया लेल प्रस्थान केलन्हि।
एहि मौका पर बिहार उर्जा मंत्री विजेन्द्र यादव ,स्थानीय विधायक नौशाद आलम ,बिहार अल्पसंख्यक कल्याण विभाग केँ मुख्य सचिव अमीर सुहानी, श्रम विभाग केँ मुख्य सचिव दीपक कुमार सिंह, डीएम पंकज दीक्षित ,एसपी राजीव मिश्रा, डीएसपी ललन पाण्डेय , ठाकुरगंज थानाध्यक्ष आर के तिवारी , गलगलिया थानाध्यक्ष अरविंद कुमार ,पोठिया थानाध्यक्ष मनु प्रसाद सहित जदयू कार्यकर्ता सभ उपस्थित छलाह।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।