नई दिल्ली। 08 दिसम्बर। वित्तमंत्री अरुण जेटली आय एक प्रेस कांफ्रेंस करि बड़का ऐलान केलन्हि। अरुण जेटली डिजिटल खरीदारी क' बढ़ावा बढ़ावा देबा पर जोर देलन्हि। अरुण जेटली कहलनि कि पेट्रोल - डीजल किनबाक लेल डिजिटल तरिका सँ पेमेंट केला पर पर 0.75 % केर छूट भेटत। डिजिटल पेमेंट बढ़ला सँ कैश केर जरूरत 360 करोड़ कम भेल अछि। 4.5 करोड़ लोग रोज 1800 करोड़ टक्का कीमत केँ पेट्रोल, डीजल किनैत छैथ।
अरुण जेटली द्वारा कायल गेल ऐलान
- देश के 58 फीसदी लोग ऑनलाइन टिकट बुक करैत छैथ। नव पॉलिसी के तहत जे ऑनलाइन रेलवे टिकट बुक करता हुनका टिकट के संगे - संग 10 लाख टक्का के एक्सीडेंट इश्योरेंस भेटत।
- 4 करोड़ 32 लाख किसान सभ क' सरकार रुपे (RUPAY) किसान कार्ड देत।
- नाबार्ड दिस सँ इ कार्ड देल जायत।
- सबअर्बन रेलवे नेटवर्क म' जे महीना के टिकट (एमएसती) लेता, हुनका 0.5% केर छूट भेटत।
- ई योजना 1 जनवरी सँ लागू होयत। ऐहिक शुरुआत मुंबई सँ होयत।
- रेलवे के केटरिंग आर गेस्ट रूम म' 5% के छूट भेटत।
- 2000 टक्का तक के डिजिटल लेनदेन पर सर्विस टैक्स नहि लागत।
- ऑनलाइन पॉलिसी किनबा पर सेहो छूट भेटत। जनरल इश्योरेंस पर 10 फीसदी के छूट भेटत।
- रेलवे के दोसर पेमेंट पर सेहो 5 फीसदी के छूट भेटत। ऑनलाइन टिकट पर 0.5 फीसदी के छूट भेटत।
- 10 हजार सँ बेसी के आबादी बला जगह पर फ्री में पॉइंट ऑफ सेल (पीओएस) मशीन लगाओल जायत।
- टोल पर ऑनलाइन पेमेंट पर सेहो 10 फीसदी के छूट भेटत।
- लाइफ पॉलिसी किनबा पर 8 फीसदी के छूट भेटत।
- सरकार के ऐलानक बाद दिल्ली म' पेट्रोल 50 पैसा, मुंबई म' 55 पैसा, कोलकाता म' 62 पैसा, चेन्नई म' 42 पैसा प्रति लीटर सस्ता होयत।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।