सुरक्षाबल संग मुठभेड़ म' लश्कर केँ 3 आतंकी ढेर

श्रीनगर। 08 दिसम्बर। दक्षिण कश्मीर केँ अनंतनाग जिला के अरवानी म' आय भोर सुरक्षा बल आर आतंकवादि सभक बीच भेल मुठभेड़ म' लश्कर केँ 3 आतंकवादी मारल गेल। एहिमें एक आतंकी केर पहचान भ' गेल अछि। ओकर नाम जुनैद मट्टू बताओल जे रहल अछि।मुठभेड़ के बाद सँ इलाका म' सुरक्षाबल दिस सँ कॉम्बिंग ऑपरेशन चलाओल जे रहल अछि।

मुठभेड़ केँ जानकारी दैत एक पुलिस अधिकारी कहला कि अनंतनाग म' बिजबहेड़ा इलाका के हसनपोरा गाम म' आतंकवादि सभक मौजूदगी केर  खुफिया जानकारी भेटल छल।

ऐहिक बाद आय भोर ओता तलाशी अभियान शुरू कायल गेल छल। आगा ओ कहला कि जखन सुरक्षा बल तलाशी अभियान शुरू केलन्हि तखने आतंकवादि सभ गोलीबारी करे लागलन्हि जाहिसँ सुरक्षाबल आर आतंकि सभक बीच मुठभेड़ शुरू भ' गेल जे बहुत देर धरी चलल। एहि मुठभेड़ म' लश्कर के 3 आतंकी मारल गेल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ