व्यापम घोटाला केँ जांच लेल मुजफ्फरपुर पहुंचल CBI, 5500 छात्र सभक भ' रहल अछि जांच

मुजफ्फरपुर। 13 दिसम्बर। व्यावसायिक परीक्षा मंडल (व्यापम) घोटाला केँ जांच लेल मध्य प्रदेश से सीबीआइ के दुई अधिकारी मुजफ्फरपुर के श्रीकृष्ण चिकित्सा महाविद्यालय व अस्पताल आयल अछि। सीबीआइ केर  टीम कैल्ह सोमवार दिन कॉलेज म' तहकीकात केलन्हि। तहकीकात आइयो चलल। एहि दौरान सीबीआइ प्राचार्य से सेहो पूछताछ केलन्हि। अपने क' बता दी कि एसकेएमसीएच के 114 सहित बिहार के 5500 छात्र एहि घोटाला म' संदिग्ध अछि।

ओनाकि, प्राचार्य डॉ. विकास कुमार व्यापम घोटाला सँ जुडल जांच के लेल कुनु भी अधिकारी के अएबाक पुष्टि नहि केलन्हि। सिर्फ एतबा कहलन्हि कि मामला अतिसंवेदनशील अछि। एहि कारण सँ एकरा गोपनीय राखल गेल अछि। 

अपने क' बता दी बिहार के कैको  मेडिकल कॉलेज सभक तार व्यापम घोटाला सँ जुडल अछि। सीबीआइ किछ दिन पहिने एसकेएमसी के प्राचार्य क' एक सीडी उपलब्ध करेना छल। जाहिमें ऐता के 114 छात्र-छात्रा सभक  नाम, फोटो व अन्य जानकारि छल।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने