स्थानीय लोग कहल कि भोरे चाइर बजे मवेशी घर में घूर के चिनगारी सs आगि लागल आर तेजी सs पसरैत चली गेल। कहल जा रहल अछि कि राइत में एक सांढ मवेशी घर में घुसी कs उत्पात मचाब लागल। ओहि उत्पात में घूर कs आगि छिरिया गेल आर ओहि आगि के चिनगारी बाद में भड़की उठल। आगि सिताई पंडित आर विष्णु पंडित के दू मवेशी घरों के संग तीन आवासीय घर के जला कs स्वाहा करि देलक।
ग्रामीण कs सामुहिक प्रयास सs आगि पर कोनो तरह काबू पाब में सफल रहला, लेकिन ताबैत तक तीन आवासीय आर दू मवेशी घर पूरा तरह सs जाली गेल छल। ग्रामीणों कहला कि अग्निशमन के गाड़ी के लेल फोन सेहो केनौ, लेकिन कॉल रिसीव नै कैल्क। आगि में सिताई पंडित के 20 हजार नकद आर करीब एक लाख के जेवरात व अन्य सम्पत्ति तथा विष्णु पंडित के 5 हजार नकद , आधा किलो चांदी के आभूषण आर 50 हजार के अन्य संपत्ति नष्ट होबाक बात कहल जा रहल अछि। सिताई पंडित के दू आर विष्णु पंडित के एक बरद व महिष झुलसी कs मरी गेल। तीन अन्य मवेशी सेहो गंभीर रूप सs जख्मी भेल अछि। घटना कs सूचना भेटला पर झंझारपुर के सीओ हेमंत कुमार दास पहुँचला आर अग्निकांडक' जायजा लेबा के बाद पीड़ित के सरकारी सहायता जल्द दियाबक आश्वासन देला।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।