नितीश कुमार नैनसुखिया आर मनसुखिया सीएम : पप्पू यादव


पटना।20 दिसम्बर। जनाधिकार पार्टीक' अध्यक्ष आर मधेपुरा सांसद पप्पू यादव राजानीतिक मर्यादा कs उल्लंघन करैत सीएम नीतीश कुमार पर अभद्र टिप्पणी कैला। पप्पू सीएम नीतीश पर आरोप लगबैत कहला कि ओ अपन नयन सुख के लेल अपन सभा में महिला के आगा बसिबैत छैथ।
पप्पू कहला कि नीतीश जी  कैशलेस के बात कs प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी के समर्थन करैत छैथ। दोसर दिश पइसा बँटबा जीविका कार्यकर्ता के अपन सभा में बजबैत छैथ।
पप्पू यादव सीएम पर हमला जारी राखैत कहला कि हमर सीएम मनसुखिया, नैनसुखिया व्यक्ति छैथ। पप्पू यादव एहिठाम नै रुकला, ओ सीएम पर अपना हमला जारी राखैत कहला कि सीएम जीविका, सेविका, ममता, आशा के आगा में बैसा कs नयनसुख, मनसुख आर तन सुख सुखे-सुख लैत छैथ एहिलेल हम हिनकर नाम राखी देनौ नैनसुखिया, मनसुखिया।


एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ